(c)२०००- २०२२। विदेह: प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA (since 2004). सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur. In respect of materials e-published in Videha, the Editor, Videha holds the right to create the web archives/ theme-based web archives, right to translate/ transliterate those archives and create translated/ transliterated web-archives; and the right to e-publish/ print-publish all these archives. रचनाकार/ संग्रहकर्त्ता अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना/ संग्रह (संपूर्ण उत्तरदायित्व रचनाकार/ संग्रहकर्त्ता मध्य) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ पठा सकैत छथि, संगमे ओ अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो सेहो पठाबथि। एतऽ प्रकाशित रचना/ संग्रह सभक कॉपीराइट रचनाकार/ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि आ जतऽ रचनाकार/ संग्रहकर्त्ताक नाम नै अछि ततऽ ई संपादकाधीन अछि। सम्पादक: विदेह ई-प्रकाशित रचनाक वेब-आर्काइव/ थीम-आधारित वेब-आर्काइवक निर्माणक अधिकार, ऐ सभ आर्काइवक अनुवाद आ लिप्यंतरण आ तकरो वेब-आर्काइवक निर्माणक अधिकार; आ ऐ सभ आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। ऐ सभ लेल कोनो रॉयल्टी/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै, से रॉयल्टी/ पारिश्रमिकक इच्छुक रचनाकार/ संग्रहकर्त्ता विदेहसँ नै जुड़थु। विदेह ई पत्रिकाक मासमे दू टा अंक निकलैत अछि जे मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ www.videha.co.in पर ई प्रकाशित कएल जाइत अछि। (c) २०००-२०२२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि। भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htm, http://www.geocities.com/ggajendra आदि लिंकपर आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.htm (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.htm लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha 258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/ भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/ पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब "भालसरिक गाछ" जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Friday 21 October 2022

गजेन्द्र ठाकुर- मुन्नाजीक “माँझ आंगनमे कतिआएल छी”

 𑂏𑂔𑂵𑂢𑂹𑂠𑂹𑂩⸱𑂘𑂰𑂍𑂳𑂩-⸱𑂧𑂳𑂢𑂹𑂢𑂰𑂔𑂲𑂍⸱“𑂧𑂰𑂀𑂕⸱𑂄𑂁𑂏𑂢𑂧𑂵⸱𑂍𑂞𑂱𑂄𑂉𑂪⸱𑂓𑂲”⸱

“𑂧𑂰𑂀𑂕⸱𑂄𑂁𑂏𑂢𑂧𑂵⸱𑂍𑂞𑂱𑂄𑂉𑂪⸱𑂓𑂲”⸱𑂧𑂳𑂢𑂹𑂢𑂰𑂔𑂲𑂍⸱𑂩𑂳𑂥𑂰𑂅⸱𑂄⸱𑂏𑂔𑂪⸱𑂮𑂁𑂏𑂹𑂩𑂯𑂍⸱𑂢𑂰𑂧⸱𑂃𑂓𑂱𑃀⸱𑂍𑂞𑂱𑂄𑂉𑂪⸱𑂄⸱𑂮𑂵𑂯𑂷⸱𑂧𑂰𑂀𑂕⸱𑂄𑂁𑂏𑂢𑂧𑂵!⸱𑂍𑂲⸱𑂍𑂥𑂲𑂩𑂍⸱𑂇𑂪𑂗𑂥𑂰𑂮𑂲𑂍⸱𑂣𑂹𑂩𑂦𑂰𑂫⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂆⸱𑂄𑂍𑂱⸱𑂏𑂔𑂪𑂍⸱𑂮𑂹𑂫𑂦𑂰𑂫⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂆?⸱𑂢𑂯𑂱𑂨𑂵⸱𑂆⸱𑂍𑂥𑂲𑂩𑂍⸱𑂇𑂪𑂗𑂥𑂰𑂮𑂲𑂍⸱𑂣𑂹𑂩𑂦𑂰𑂫⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂢𑂯𑂱𑂨𑂵⸱𑂆⸱𑂏𑂔𑂪𑂍⸱𑂮𑂹𑂫𑂦𑂰𑂫⸱𑂃𑂓𑂱,⸱𑂆⸱𑂉𑂍𑂗𑂰⸱𑂨𑂟𑂰𑂩𑂹𑂟⸱𑂃𑂓𑂱𑃀⸱𑂧𑂳𑂢𑂹𑂢𑂰𑂔𑂲⸱𑂮𑂢⸱𑂍𑂞𑂵𑂍𑂷⸱𑂪𑂷𑂍⸱𑂍𑂞𑂱𑂄𑂉𑂪⸱𑂓𑂟𑂱,⸱𑂣𑂹𑂩𑂞𑂱𑂦𑂰⸱𑂃𑂓𑂶𑂞⸱𑂯𑂵𑂩𑂰𑂉𑂪⸱𑂓𑂟𑂱𑃀⸱𑂧𑂳𑂠𑂰⸱𑂏𑂔𑂪𑂍𑂰𑂩⸱𑂮𑂦𑂗𑂰⸱𑂠𑂷𑂎⸱𑂃𑂣𑂢𑂵𑂣𑂩⸱𑂪ऽ⸱𑂪𑂶⸱𑂓𑂟𑂱𑃀
𑂄𑂥⸱𑂞𑂀⸱𑂧𑂰𑂀𑂕⸱𑂄𑂁𑂏𑂢𑂧𑂵⸱𑂍𑂞𑂱𑂄𑂉𑂪⸱𑂓𑂲
𑂃𑂣𑂢𑂵⸱𑂒𑂰𑂪𑂱𑂮𑂀⸱𑂄𑂥⸱𑂥𑂵𑂩𑂰⸱𑂏𑂵𑂪𑂯𑂳𑂀⸱𑂯𑂧

𑂄⸱𑂮𑂉𑂯⸱𑂍𑂰𑂩𑂝⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂔𑂵⸱𑂋⸱𑂢𑂷𑂩𑂍⸱𑂮𑂳𑂎⸱𑂦𑂷𑂏ऽ⸱𑂪𑂰𑂏𑂶⸱𑂓𑂟𑂱𑃀
𑂢𑂷𑂩⸱𑂞𑂀⸱𑂎𑂮𑂶𑂉⸱𑂧𑂳𑂠𑂰⸱𑂧𑂔𑂰⸱𑂮𑂢⸱𑂪𑂏𑂶𑂉
𑂍𑂵𑂯𑂢⸱𑂢𑂲𑂍⸱𑂣𑂹𑂩𑂵𑂧𑂍⸱𑂠𑂳𑂎⸱𑂪𑂵𑂪𑂯𑂳𑂀⸱𑂯𑂧

𑂥𑂚𑂍𑂰⸱𑂎𑂰𑂡𑂱𑂧𑂵⸱𑂎𑂮𑂶⸱𑂓𑂟𑂱⸱𑂄⸱𑂞𑂯𑂴⸱𑂪𑂵𑂪⸱𑂃𑂣𑂢𑂵𑂍𑂵𑂀⸱𑂠𑂷𑂎𑂲⸱𑂧𑂰𑂢𑂶⸱𑂓𑂟𑂱:
𑂓𑂷𑂗𑂍𑂷⸱𑂘𑂵𑂮𑂮𑂀⸱𑂢𑂶⸱𑂮𑂥𑂍⸱𑂪𑂵𑂪𑂯𑂳𑂀⸱𑂯𑂧
𑂞𑂀𑂉⸱𑂥𑂚𑂍𑂰⸱𑂎𑂰𑂡𑂱𑂧𑂵⸱𑂎𑂮𑂱⸱𑂏𑂵𑂪𑂯𑂳𑂀⸱𑂯𑂧

𑂞𑂀⸱𑂍𑂲⸱𑂏𑂔𑂪𑂍𑂰𑂩⸱𑂣𑂹𑂩𑂵𑂧𑂍⸱𑂧𑂯𑂞𑂹𑂫⸱𑂥𑂱𑂮𑂩𑂱⸱𑂏𑂵𑂪⸱𑂓𑂟𑂱,⸱𑂢𑂶⸱𑂣𑂹𑂩𑂵𑂧⸱𑂞𑂀⸱𑂮𑂦𑂍𑂵𑂀⸱𑂒𑂰𑂯𑂲𑃀
𑂮𑂦⸱𑂇𑂧𑂵𑂩⸱𑂫𑂩𑂹𑂏𑂍𑂵𑂀⸱𑂣𑂹𑂩𑂵𑂧⸱𑂒𑂰𑂯𑂲
𑂧𑂩𑂱𑂞𑂷⸱𑂡𑂩𑂱⸱𑂍𑂳𑂬𑂪-𑂓𑂵𑂧⸱𑂒𑂰𑂯𑂲

𑂄⸱𑂯𑂱𑂢𑂍𑂰⸱𑂔𑂀⸱𑂍𑂷𑂮⸱𑂠𑂴-𑂍𑂷𑂮⸱𑂧𑂰𑂞𑂹𑂩⸱𑂒𑂪𑂥𑂰𑂍⸱𑂩𑂯𑂱𑂞𑂢𑂹𑂯𑂱⸱𑂞𑂎𑂢⸱𑂢𑂵,⸱𑂯𑂱𑂢𑂍𑂰⸱𑂞𑂀⸱𑂥𑂯𑂳𑂞⸱𑂄𑂏𑂰𑂀⸱𑂥𑂜𑂥𑂰𑂍⸱𑂓𑂢𑂹𑂯𑂱⸱𑂞𑂵𑂀⸱𑂣𑂹𑂩𑂵𑂧⸱𑂒𑂰𑂯𑂲𑃀
𑂙𑂰𑂯𑂮𑂀⸱𑂣𑂯𑂳𑂀𑂒𑂥⸱𑂍𑂷𑂮-𑂠𑂴⸱𑂍𑂷𑂮
𑂄𑂏𑂴⸱𑂥𑂜𑂥𑂰⸱𑂪𑂵𑂪⸱𑂞𑂀⸱𑂣𑂹𑂩𑂵𑂧⸱𑂒𑂰𑂯𑂲

𑂄⸱𑂮𑂵⸱𑂮𑂦⸱𑂘𑂰𑂧𑃀⸱𑂉𑂍𑂗𑂰⸱𑂯𑂧𑂩⸱𑂮𑂁𑂏𑂲⸱𑂓𑂪,⸱𑂉𑂍𑂗𑂰⸱𑂣𑂩𑂲𑂍𑂹𑂭𑂰𑂧𑂵⸱𑂗𑂰𑂣⸱𑂍𑂵𑂪𑂍⸱𑂞𑂀⸱𑂥𑂰𑂔𑂪-⸱𑂢𑂶⸱𑂍𑂧𑂹𑂣𑂲𑂗⸱𑂍𑂩𑂶⸱𑂓𑂲⸱𑂞𑂀⸱𑂢𑂶⸱𑂍𑂩𑂶⸱𑂓𑂲,⸱𑂄⸱𑂍𑂩𑂶⸱𑂓𑂲⸱𑂞𑂀⸱𑂗𑂰𑂣⸱𑂍𑂩𑂶⸱𑂓𑂲𑃀⸱𑂋⸱𑂏𑂔𑂪𑂍𑂰𑂩⸱𑂢𑂶⸱𑂓𑂪⸱𑂔𑂀⸱𑂩𑂯𑂱𑂞𑂉⸱𑂞𑂀⸱𑂃𑂯𑂱𑂢𑂰⸱𑂪𑂱𑂎𑂱𑂞𑂉⸱𑂔𑂵𑂢𑂰⸱𑂧𑂳𑂢𑂹𑂢𑂰𑂔𑂲⸱𑂪𑂱𑂎𑂶⸱𑂓𑂟𑂱:
𑂥𑂠𑂩𑂲⸱𑂪𑂰𑂠𑂪⸱𑂩𑂯𑂶⸱𑂍𑂷𑂢𑂷⸱𑂥𑂰𑂞⸱𑂢𑂶
𑂔𑂠𑂱⸱𑂥𑂩𑂮𑂲⸱𑂞𑂀⸱𑂥𑂩𑂱𑂮𑂰𑂞⸱𑂥𑂢𑂱⸱𑂍ऽ

𑂄⸱𑂢𑂔𑂩𑂱-𑂢𑂔𑂩𑂱𑂍⸱𑂤𑂵𑂩⸱𑂄⸱𑂯𑂰𑂤⸱𑂏𑂹𑂪𑂰𑂮⸱𑂤𑂳𑂪,⸱𑂆⸱𑂠𑂳𑂢𑂴⸱𑂗𑂰⸱𑂃𑂫𑂡𑂰𑂩𑂝𑂰⸱𑂊⸱𑂩𑂴𑂣𑂧𑂵⸱𑂋⸱𑂩𑂰𑂎𑂶⸱𑂓𑂟𑂱:
𑂢𑂔𑂩𑂱⸱𑂇𑂘𑂰⸱𑂍ऽ⸱𑂠𑂵𑂎𑂥𑂶⸱𑂞𑂀⸱𑂎𑂰𑂪𑂲⸱𑂥𑂳𑂕𑂰𑂉𑂞⸱𑂆⸱𑂠𑂳𑂢𑂱𑂨𑂰𑂀
𑂢𑂔𑂩𑂱⸱𑂏𑂩𑂰⸱𑂍ऽ⸱𑂠𑂵𑂎𑂥𑂶⸱𑂞𑂀⸱𑂮𑂦⸱𑂠𑂵𑂎𑂰𑂉𑂞⸱𑂆⸱𑂠𑂳𑂢𑂱𑂨𑂰𑂀

𑂮𑂧𑂰𑂪𑂷𑂒𑂢𑂰⸱𑂄⸱𑂫𑂱𑂩𑂷𑂡⸱𑂠𑂳𑂢𑂴𑂍𑂵𑂀⸱𑂏𑂔𑂪𑂍𑂰𑂩⸱𑂢𑂲𑂍⸱𑂧𑂰𑂢𑂶⸱𑂓𑂟𑂱𑃀
𑂣𑂍𑂹𑂭𑂡𑂩𑂮𑂀⸱𑂩𑂰𑂎𑂴⸱𑂃𑂣𑂢𑂰𑂍𑂵𑂀⸱𑂥𑂒𑂰⸱𑂍ऽ
𑂫𑂱𑂣𑂍𑂹𑂭𑂲𑂍⸱𑂮𑂦⸱𑂥𑂰𑂞𑂍𑂵𑂀⸱𑂢𑂶⸱𑂞𑂲𑂞⸱𑂥𑂳𑂕𑂴

𑂧𑂯𑂏𑂰𑂅𑂮𑂀⸱𑂪𑂷𑂍⸱𑂥𑂵𑂍𑂪⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂧𑂳𑂠𑂰⸱𑂞𑂍𑂩𑂰⸱𑂪𑂵𑂪⸱𑂕𑂳𑂧𑂶𑂞⸱𑂧𑂒𑂰𑂢𑂍⸱𑂥𑂱𑂧𑂹𑂥⸱𑂠𑂵𑂎𑂴:
𑂧𑂯𑂏𑂰𑂅𑂮𑂀⸱𑂎𑂴𑂢𑂵⸱𑂢𑂶⸱𑂯𑂙𑂹𑂙𑂱𑂨𑂷⸱𑂮𑂳𑂎𑂰𑂅𑂉
𑂄𑂥⸱𑂕𑂳𑂪𑂶𑂞⸱𑂧𑂒𑂰𑂢⸱𑂮𑂢⸱𑂪𑂏𑂶𑂉⸱𑂪𑂷𑂍

𑂄⸱𑂆⸱𑂇𑂪𑂗𑂥𑂰𑂮𑂲⸱𑂠𑂵𑂎𑂴,⸱𑂥𑂱𑂧𑂹𑂥⸱𑂢𑂫,⸱𑂦𑂰𑂫𑂢𑂰⸱𑂬𑂰𑂬𑂹𑂫𑂞:
𑂯𑂧⸱𑂞𑂀⸱𑂐𑂴𑂩⸱𑂔𑂚𑂵𑂪𑂸𑂁⸱𑂏𑂩𑂹𑂧𑂲⸱𑂧𑂰𑂮𑂧𑂵
𑂧𑂱𑂕𑂰𑂉𑂪⸱𑂄𑂏𑂱𑂮𑂀⸱𑂣𑂮𑂰𑂯𑂲⸱𑂍𑂯𑂱𑂨𑂷

𑂆⸱𑂍𑂷𑂢⸱𑂏𑂷𑂭𑂹𑂘𑂲⸱𑂓𑂲⸱𑂔𑂵⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂍𑂷𑂢⸱𑂣𑂞𑂹𑂩𑂱𑂍𑂰𑂍⸱𑂣𑂹𑂩𑂰𑂨𑂷𑂔𑂱𑂞⸱𑂒𑂱𑂗𑂹𑂘𑂲⸱𑂓𑂣𑂥𑂰𑂍⸱𑂩𑂰𑂔𑂢𑂲𑂞𑂱⸱𑂮𑂢,⸱𑂆⸱𑂩𑂳𑂥𑂰𑂅⸱𑂠𑂵𑂎𑂴:
𑂧𑂷𑂢⸱𑂦𑂉⸱𑂇𑂘𑂪⸱𑂠𑂳𑂎𑂱𑂞⸱𑂯𑂷𑂯𑂍𑂰𑂩𑂲𑂮𑂀
𑂇𑂘𑂱⸱𑂠𑂩𑂹𑂬𑂍⸱𑂦𑂰𑂏𑂪⸱𑂧𑂰𑂩𑂰𑂧𑂰𑂩𑂲𑂮𑂀
𑂣𑂹𑂩𑂰𑂨𑂷𑂔𑂍⸱𑂞𑂀⸱𑂣𑂟𑂢𑂵⸱𑂩𑂯𑂪⸱𑂍𑂰𑂢⸱𑂃𑂣𑂢
𑂍𑂩𑂹𑂞𑂰⸱𑂠𑂵𑂎𑂰𑂩⸱𑂦𑂵𑂪𑂰⸱𑂔𑂞𑂱𑂨𑂰𑂩𑂲𑂮𑂀

𑂧𑂳𑂠𑂰⸱𑂥𑂰𑂜𑂱𑂍⸱𑂫𑂱𑂭𑂨⸱𑂔𑂀⸱𑂧𑂶𑂟𑂱𑂪𑂲⸱𑂏𑂔𑂪𑂍⸱𑂃𑂁𑂏⸱𑂢𑂶⸱𑂥𑂢𑂉⸱𑂞𑂀⸱𑂥𑂳𑂕𑂴⸱𑂔𑂵⸱𑂏𑂔𑂪𑂍𑂰𑂩⸱𑂮𑂧𑂰𑂔𑂮𑂀⸱𑂍𑂞𑂱𑂄𑂉𑂪⸱𑂓𑂟𑂱𑃀⸱𑂧𑂳𑂠𑂰⸱𑂮𑂵⸱𑂢𑂶⸱𑂃𑂓𑂱𑃀
𑂡𑂰𑂩⸱𑂉𑂎𑂢⸱𑂡𑂩𑂱⸱𑂞𑂀⸱𑂇𑂤𑂰𑂢𑂣𑂩⸱𑂃𑂓𑂱
𑂪𑂷𑂍⸱𑂞𑂰𑂍𑂰-𑂞𑂰𑂍𑂲⸱𑂍𑂩𑂶𑂞⸱𑂥𑂰𑂢𑂹𑂯𑂣𑂩⸱𑂃𑂓𑂱

𑂄𑂥⸱𑂣𑂚𑂰𑂅𑂢⸱𑂐𑂗𑂪⸱𑂃𑂓𑂱,⸱𑂧𑂱𑂟𑂱𑂪𑂰𑂮𑂀⸱𑂣𑂚𑂰𑂅𑂢𑃀⸱𑂥𑂰𑂯𑂩𑂲⸱𑂪𑂷𑂍⸱𑂥𑂱𑂯𑂰𑂩𑂲𑂍𑂵𑂀⸱𑂧𑂔𑂠𑂴𑂩⸱𑂄⸱𑂬𑂹𑂩𑂧𑂱𑂍𑂍⸱𑂣𑂩𑂹𑂨𑂰𑂨𑂫𑂰𑂒𑂲⸱𑂧𑂰𑂢𑂱⸱𑂪𑂵𑂢𑂵⸱𑂓𑂟𑂱𑃀⸱𑂞𑂯𑂴𑂣𑂩⸱𑂏𑂔𑂪𑂍𑂰𑂩𑂍⸱𑂍𑂪𑂧⸱𑂒𑂪𑂪⸱𑂃𑂓𑂱𑃀
𑂥𑂱𑂯𑂰𑂩𑂍⸱𑂮𑂱𑂩𑂎𑂰𑂩𑂲⸱𑂥𑂠𑂪𑂱⸱𑂏𑂵𑂪⸱𑂮𑂢⸱𑂪𑂏𑂶𑂉⸱𑂄𑂥
𑂬𑂹𑂩𑂧𑂱𑂍⸱𑂐𑂗𑂪𑂰𑂮𑂀⸱𑂍𑂁𑂣𑂢𑂲-𑂧𑂰𑂪𑂱𑂍⸱𑂪𑂏𑂶⸱𑂥𑂱𑂯𑂰𑂩𑂲⸱𑂔𑂍𑂰𑂀

𑂧𑂳𑂢𑂹𑂢𑂰𑂔𑂲𑂍⸱𑂏𑂔𑂪⸱𑂄⸱𑂩𑂳𑂥𑂰𑂅⸱𑂮𑂹𑂫𑂒𑂹𑂓𑂢𑂹𑂠⸱𑂩𑂴𑂣𑂮𑂀⸱𑂥𑂧𑂍𑂷𑂪𑂰⸱𑂔𑂵𑂍𑂰𑂀⸱𑂥𑂯𑂪⸱𑂃𑂓𑂱𑃀⸱𑂬𑂵𑂩𑂍⸱𑂮𑂹𑂫𑂦𑂰𑂫⸱𑂯𑂷𑂅⸱𑂓𑂶⸱𑂔𑂵⸱𑂔𑂀⸱𑂋𑂍𑂩𑂰⸱𑂢𑂲𑂍𑂮𑂀⸱𑂍𑂯𑂪⸱𑂔𑂰𑂉⸱𑂞𑂀⸱𑂄𑂯-𑂥𑂰𑂯⸱𑂪𑂷𑂍⸱𑂍𑂩𑂱𑂞𑂵⸱𑂃𑂓𑂱𑃀⸱𑂧𑂶𑂟𑂱𑂪𑂲𑂧𑂵⸱𑂏𑂔𑂪-𑂩𑂳𑂥𑂰𑂅⸱𑂔𑂅⸱𑂞𑂩𑂯𑂵𑂀⸱𑂣𑂹𑂩𑂮𑂰𑂩𑂱𑂞⸱𑂦ऽ⸱𑂩𑂯𑂪⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂮𑂵⸱𑂠𑂵𑂎𑂱⸱𑂍ऽ⸱𑂨𑂉𑂯⸱𑂪𑂰𑂏𑂱⸱𑂩𑂯𑂪⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂔𑂵⸱𑂔𑂞𑂵𑂍⸱𑂆⸱𑂫𑂱𑂡𑂰⸱𑂃𑂣𑂢𑂰𑂍𑂵𑂀⸱𑂣𑂮𑂰𑂩𑂱⸱𑂩𑂯𑂪⸱𑂃𑂓𑂱⸱𑂞𑂅𑂮𑂀⸱𑂥𑂵𑂬𑂲⸱𑂧𑂶𑂟𑂱𑂪𑂲⸱𑂪𑂰𑂦𑂰𑂢𑂹𑂫𑂱𑂞⸱𑂦ऽ⸱𑂣𑂮𑂩𑂱⸱𑂩𑂯𑂪⸱𑂃𑂓𑂱𑃀

No comments:

Post a Comment